नेपाल देलक नीतीश कए सहयोग क भरोस

नई दिल्ली। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार दिल्ली मे नेपाल क राष्ट्रपति रामबरन यादव स भेंट केलथि। ओ यादव क संग बिहार मे बाढ़ क कारण भ रहल तबाही कए रोकबा लेल रणनीति पर गप केलथि। नेपाल एहि मे पूरा सहयोग देबाक भरोस देलक अछि।
यादव स भेंटक बाद मुख्यमंत्री कुमार कहला जे बिहार क सीमा नेपाल स लागल अछि आ बाढ़ क कारण नेपाल क संग बिहार कए सेहो भारी नुकसान होइत अछि। एहि लेल दूनू कए मिलि कए एकर निराकरण करबाक अछि। राष्ट्रपति यादव 27 जनवरी स दस दिवसीय भारत यात्रा पर दिल्ली आयल छथि।
नीतीश कहला जे नेपाल क राष्ट्रपति बाढ़ क खतरा कए कम करबा आ आपदा क स्थिति मे आपातकालीन सूचना तंत्र कए मजबूत करबा मे भारत क संग पूरा सहयोग क भरोस देलथि अछि। करीब 45 मिनट भेल एहि औपचारिक बैठक मे नेपाल क राष्ट्रपति रामबरन यादव मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए नेपाल एबाक न्योत सेहो देलथि अछि।
बिहार आ नेपाल क 726 किलोमीटर लंबा सीमा खुलल अछि आ एहि लेल सीमापार स घुसपैठ, मादक पदार्थ आ जाली नोट क तस्करी, मानव तस्करी क समस्या बढि रहल अछि। एक फरवरी कए आंतरिक सुरक्षा पर मुख्यमंत्रीक सम्मेलन मे नीतीश केंद्र स एहि मुद्दाक निराकरण लेल कहलथि। मुख्यमंत्री कहला जे बिहार क सीमा स लागल नेपाल क हिस्सा मे गांजा आ पोस्ता क अवैध खेती बहुत तेजी स फइलल अछि। भारत-नेपाल सीमा वार्ता क इ एकटा महत्वपूर्ण एजेंडा अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments