नेपाल अउताह प्रणब

काठमांडू। भारत क वित्त मंत्री प्रणब मुखर्जी रविदिन अपन एक दिन क नेपाल यात्रा पर काठमांडू पहुंचताह। नेपाल भारत क बीच दोहरी कर प्रणाली कए अन्त करबा लेल ओ एकटा दिपक्षीय समझौते पर हस्ताक्षर करताह। जानकारीक अनुसार श्री मुखर्जी रविदिन सांझखन भारत लौट जेताह। प्रणब क यात्रा स पहिने भारतीय विदेश सचिव रंजन मथैया अपन तीन दिन क नेपाल यात्रा पर आइ काठमाण्डू पहुंच गेलाह अछि। ओ एहि यात्राक दौरान अपन समकक्ष अधिकारी स वार्ता करताह। कहल जा रहल अछि जे इ वार्ता नियमित वार्ता प्रक्रिया क तहत भ रहल अछि जाहि मे दूनू देश एक दोसरक बीच सूचनाक आदान प्रदान करत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments