नेउरा मे बनत अरबी-फारसी विवि परिसर

पटना। मानव संसाधन विकास मंत्री पीके शाही कहला अछि जे मौलाना मजहरुल हक अरबी आ फारसी विश्र्वविद्यालय क भवन नेउरा मे बनत। एकरा लेल 25 एकड़ जमीन हासिल करि लेल गेल अछि। ओ इ सेहो कहला जे अलीगढ़ मुस्लिम विश्र्वविद्यालय (एएमयू) क शाखा क लेल किशनगंज मे देल गेल तीनू भूखंड कए लिंक रोड स जोड़ल जा रहल अछि। जमीयत उलेमा क एकटा प्रतिनिधिमंडल स भेंट करैत शाही कहला जे एएमयू क लेल देल गेल जमीन पर बसल करीब 25टा परिवार कए अन्य स्थान पर बसा देल जा रहल अछि। सरकार एएमयू क शाखा क स्थापना क लेल हर संभव मदद देबा लेल तैयार अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments