नीतीश 9 नवंबर कए पाक जेताह

0
1
esamaad maithili newspaper

पटना । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अगिला मास पाकिस्तान जेताह। ओ मंत्री क एकटा शिष्टमंडल क नेतृत्व करताह। मुख्यमंत्री आवास स प्राप्त जानकारी क अनुसार 9 स 16 नवंबर तक लेल पाकिस्तान क यात्रा पर जा रहल इ शिष्टमंडल ओहि ठाम किछु प्रांतीय मुख्यमंत्री सबहक निमंत्रण पर पड़ोसी देश जा रहल अछि। नीतीश क नेतृत्व मे पाकिस्तान जा रहल एहि शिष्टमंडल मे बिहार क मंत्री मे रेणू कुमारी आ सुखदा पांडेय, जदयू सांसद एन के सिंह, आ प्रदेश क मुख्य सचिव, गृह सचिव आ राज्य अल्पसंख्यक आयोग क अध्यक्ष सेहो शामिल छथि।
पाकिस्तान क यात्रा क दौरान इ शिष्टमंडल कराची, लाहौर आ इस्लामाबाद क भ्रमण करत आ सड़क मार्ग स वाघा सीमा क जरिए भारत लौटत। उल्लेखनीय अछि जे गत अगस्त मे बिहार आयल 18 सदस्यीय पाकिस्तानी शिष्टमंडल पंजाब क मुख्यमंत्री आ पाकिस्तान क पूर्व प्रधानमंत्री नवाजशरीफ क भाई मो0 शाहनवाज शरीफ दिस स नीतीश कए पाकिस्तान एबा लेल आमंत्रित केने छल।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page