नीतीश 12 कए जेताह चीन

पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार चीनी राजदूत क आमंत्रण आ विदेश मंत्रालय क सहमति क बाद 12 जून कए चीन क लेल रवाना हेताह। ओ चीन मे कईटा सम्मेलन मे भाग लेताह। मुख्यमंत्री सचिवालय क एक अधिकारी क अनुसार मुख्यमंत्री 12 जून कए चीन क दौरे पर जेताह आओर 18 जून कए स्वदेश लौट आउताह। चीन यात्रा क दौरान ओ शंघाई, पेचिंग सेहो जेताह आ ओहि ठाम बौद्धिक सम्मेलन मे भाग लेताह। ओ चीन मे बिजली, सिंचाई आ विभिन्न क्षेत्र मे भ रहल विकास कार्य कए सेहो देखताह।
नीतीश कुमार संग चीन दौरा पर एकटा छोट सन प्रतिनिधिमंडल सेहो जा रहल अछि, जाहि मे राज्य क जल संसाधन मंत्री विजय कुमार चौधरी, पर्यटन मंत्री सुनील कुमार पिन्टू, विकास आयुक्त केसी साहा, मुख्यमंत्री क सचिव एस सिद्धार्थ आ अतीश चन्द्रा शामिल छथि। दूटा गैर सरकारी सदस्य चेम्बर ऑफ कॉमर्स क अध्यक्ष ओ पी शाहा आ बिहार औद्योगिक संघ क अध्यक्ष एस पी सिन्हा सेहो एहि मे शामिल छथि मुदा इ दूनू गोटे अपन खर्च पर चीन जा रहल छथि। उल्लेखनीय अछि जे पिछला मास मुख्यमंत्री भूटान क यात्रा केने छलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments