नीतीश लिखलथि ममता कए चिट्ठी

नई दिल्ल्ी/पटना। पिछला रेल बजट मे कनि नजरअंदाज कैल गेल बिहार एहि बेर पहिने स तैयार अछि। शरद यादव त मधेपुरा रेल कारखाना कए लालूक योजना मानि पिछलो साल चुप रहलथि, एहि बेर लालू आ पासवान सेहो बिहारक हित लेल एखनधरि चुप बैसल छथि। एहन मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पहल करैत रेल मंत्री ममता बनर्जी कए पत्र लिखकए बिहार मे चलि रहल योजना लेल टका देबाक मांग करैत दूरंतो सहित कम स कम तेरहटा नव ट्रेन देबाक मांग केलथि अछि। पासवान कए हाजीपुर मे हरेलाक बाद रामसुंदर दास गायब छथि, एहन मे शरद संग-संग रामसुंदरक जिम्मेदारी नीतीश कए उठायब मजबूरी बनि गेल अछि। नीतीश अपन पत्र में रेल मंत्री स हाजीपुर कए विश्वस्तरीय स्टेशन बनेबाक मांग सेहो केलथि अछि।
पूर्व रेलमंत्री नीतीश ममता दीदी कए कहलथि अछि जे बिहार क लेल पैघ संख्या मे रेल परिवहन क जरूरत अछि। विस्तार क लेल पूर्व मे कईटा घोषणा त होइत रहल अछि, मुदा फंड क अभाव मे ओ एखनधरि पूरा नहि भ सकल अछि। एहि मे छपरा, हरनौत आ मधेपुरा मे प्रस्तावित रेल कारखाना शामिल अछि। एकर अलावा निमर्ली मे कोसी पर, मुंगेर आ पटना मे गंगा पर बनि रहल महासेतुक काज सेहो धीमा चलि रहल अछि। एकर संगहि नीतीश कुमार नव ट्रेन क एकटा सूची सेहो पठोलथि अछि। एहि मे पटना दिल्ली दूरन्तो एक्सप्रेस क संग-संग दरभंगा-मुंबई, पटना-बंगलूरू समेत तेरह टा नव ट्रेन शामिल अछि।
एकर संगहि ओ पटना क यातायात ठीक करबा लेल अव्यावहारिक भ चुकल पटना-दीघा रेल लाइन कए राज्य सरकार कए सौंप देबाक मांग केलथि। इ जमीन भेटला स शहर क बीचो-बीच चारि लेन क सड़क बनि सकत। नीतीश आश्वासन देलथि अछि जे एकर बदला मे ओ रेलवे कए आन ठाम जमीन देबा लेल तैयार छथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments