नीतीश यूएस मे पढ़ेताह विकास क पाठ

पटना । बिहार क सीएम नीतीश कुमार विकासक पाठ पढेबा लेल अमेरिका जेताह। हुनका कोलंबिया बिजनेस स्कूल 1 अप्रैल कए न्यू यॉर्क मे सातम इंडिया बिजनेस कॉन्फ्रेंस कए संबोधित करबा लेल न्योत पठेलक अछि। नीतीश बिहारक दोसर नेता छथि जिनका विदेश स एहन प्रस्ताव भेटल अछि। एहि स पूर्व राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद स विदेशक लोक विकासक गुर सिखने छल, इ दोसर गप जे ममता बनर्जी लालू स किछु नहि सीख सकलीह। आब नीतीश कए समावेशी विकास क जरूरत आओर बिहार कए लकए अपन विजन क विषय पर बजबा लेल बजाउल जा रहल अछि। सीएम ऑफिस यात्रा क लेल समय निकालबाक कोशिश मे अछि। बिजनेस स्कूल बिहार क सफलता आओर नीतीश क नेतृत्व पर सेहो केस स्टडी करत। पिछला हफ्ता चीनी दूत सेहो नीतीश कए चीन एबाक न्योत देने छल। अगर नीतीश अमेरिका जाइत छथि त हुनकर इ दोसर विदेश दौरा होएत, जखन कि ओ दोसर बिहारक सीएम हेताह जे अमेरिका क जेताह। नीतीश स पूर्व लालू प्रसाद अमेरिका जा चुकल छथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments