नीतीश-मोदी नहि लडता चुनाव, राबडी लडतीह दू ठाम स

पटना । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी बिहार विधानसभा क चुनाव नहि लडताह, जखन कि नेता प्रतिपक्ष राबड़ी देवी राघोपुर क अलावा सोनपुर विधानसभा क्षेत्र स सेहो चुनाव लड़बाक घोषणा केलथि अछि। 9 अक्टूबर कए राबड़ी देवी सोनपुर स पर्चा दाखिल करतीह। एहि स पूर्व राबड़ी पिछला चुनाव राघोपुर स जीतल छलीह। मुख्यमंत्री पद क दावेदार लालू प्रसाद गठबंधन क सरकार बनलाक स्थिति मे सोनपुर स प्रत्याशी हेताह। लालू एकर संकेत दैत कहला अछि जे ओ सदन मे पिछला दुहारि स एबाक पक्षधर नहि छथि। लालू प्रसाद क पुराना क्षेत्र सोनपुर रहल अछि।
एकर संगहि लालू तेसर आ चारिम चरण क लेल राजद प्रत्याशी क घोषणा केलथि राजद क हिस्सा क 168 मे स एखन धरि 125टा प्रत्याशी क सूची जारी करि देलथि अछि। बांका संसदीय उपचुनाव क लेल पूर्व केन्द्रीय मंत्री जयप्रकाश नारायण यादव कए राजद प्रत्याशी बनाएल गेल अछि।
तेसर चरण लेल उम्मीदवारक नाम
बाल्मीकिनगर स मुकेश कुमार कुशवाहा
रामनगर स शंभु राम
नरकटियागंज स मजहर आलम
बगहा स रामप्रसाद यादव
लौरिया स शभ्मु तिवारी
सुगौली स विजय प्रसाद गुप्ता
हरसिद्धी से सुरेन्द्र कुमार चन्द्रा उर्फ सतीश पासवान
कल्याणपुर स मनोज कुमार यादव
मोतिहारी स राजेश गुप्ता
बैकुंठपुर स देवदत प्रसाद
बरौली स मो. नेमतुल्ला
गोपालगंज स रेयाजुल हक उर्फ राजू
कुचायकोट स आदित्य नारायण पाण्डेय
भोरे स बच्चन दास
हथुआ स राजेश कुमार सिंह
सीवान स अवध बिहारी चौघरी
जीरादेई स शिवशंकर यादव
रघुनाथपुर स हमिद रजा खां
दरौंदा स विनोद कुमार सिंह
बड़हरिया स मो. मोबिन
गोरिया कोठी स इन्द्रदेव प्रसाद
महाराजगंज स मानिक चन्द्र राय
एकमा स कामेर्श्वर कुमार सिंह
मांझी स हेमनारायण सिंह
बनियापुर स केदारनाथ सिंह
तरैया स रामप्रवेश राय
मढ़ौरा स जितेन्द्र कुमार राय
छपरा स प्रमेन्द्र रंजन सिंह
गड़खा स मुनेर्श्वर चौधरी
परसा स चन्द्रिका राय
सोनपुर स राबड़ी देवी
वैशाली स वीणा शाही
महुआ स जागेर्श्वर राय
राघोपुर स राबड़ी देवी
पातेपुर स प्रेमा चौधरी
चारिम चरण लेल उम्मीदवारक नाम
शाहपुर कमाल स श्रीनारायण यादव
परबत्ता स सम्राट चौधरी उर्फ राकेश कुमार
बीहपुर स शैलेश कुमार उर्फ बूलो मंडल
गोपालपुर स अमित राणा
पीरपैंती स रामविलास पासवान
कहलगांव स शोभाकांत मंडल
सुलतानगंज स रामाऔतार मंडल
नाथनगर स अबू कैसर
अमरपुर स सुरेन्द्र प्रसाद सिंह
धोरैया स नरेश दास
बांका स जावेद इकबाल अंसारी
कटोरिया स सुकलाल बेसरा
बेलहर स रामदेव यादव
तारापुर स शकुनी चौधरी
मुंगेर स शबनम परवीन
सूर्यगढ़ा स प्रहलाद यादव
लखीसराय स फुलेना सिंह
बख्तियारपुर स अनिरुद्ध यादव
बांकीपुर स विनोद कुमार श्रीवास्तव
पटना साहिब स राजेश कुमार
फतुहा स रामानन्द यादव
दानापुर स सच्चिदानन्द यादव
मनेर स भाई वीरेन्द्र
जमुई स विजय प्रकाश
झाझा स विनोद प्रसाद यादव

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments