नीतीश निकलाह सेवा यात्रा पर

बेतिया/पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आइ पश्चिम चंपारण स अपन 34 दिवसीय सेवा यात्रा क शुरुआत केलथि। अपन सेवा यात्राक दौरान मुख्‍यमंत्री आइ गंडक नदी पर बनि रहल रतवल-धनहा पुल क निरीक्षण केलथि आ किछु आपत्ति दर्ज करौलथि। मुख्‍यमंत्री काजक गति पर असंतोष व्‍यक्‍त करैत उपस्थित अभियंता सब कए निर्देश देलथि जे काज मे कोनो प्रकार क शिथिलता आब मंजूर नहि अछि। ओ अधिकारी कए निर्धारित समय सीमा क अंदर पुल कए पूरा करबाक निर्देश देलथि। ओ अधिकारी कए फटकार लगबैत कहला जे काजक गति स लगैतअछि जेना कहां सब कए लक्ष्‍य क संबंध मे कोनो जानकारी नहि अछि। निरीक्षण के दौरान गंडक क उप धारा स भ रहल कटाव पर गंभीर चिंता व्‍यक्‍त करैत मुख्‍यमंत्री उपस्थित अभियंता स एकरा तत्‍काल रोकबा क आदेश देलथि। मुख्‍यमंत्री क निरीक्षण क दौरान काफी संख्‍या मे लोक जमा भ गेल छल। मुख्‍यमंत्री उपस्थित जनसमूह स गप केलथि आ किछु लोकक समस्‍या सेहो सुनलाह। समस्‍याक आवेदन स्‍वीकार करैत मुख्‍यमंत्री कहला जे यथासंभव शीघ्र कार्रवाई कैल जाएत।
नीतीश मुख्‍यमंत्री बनबा स पूर्व आ बाद मे कईटा यात्रा क चुकल छथि, मुदा दोसर बेर बिहार क सत्‍ता पर काबिज भेलाक बाद इ हुनकर पहिल यात्रा छी। देखल जाए त सेवा यात्रा मुख्यमंत्री क अन्य यात्रा स बिल्कुल अलग अछि। एहि यात्रा मे मुख्यमंत्री विकास कार्य क निरीक्षण करबा लेल जाहि प्रखंड मे जा रहल छथि ओकर जानकारी संबंधित प्रखंड स जुडल अधिकारी कए निरीक्षण क किछु काल पहिने देल जा रहल अछि। मुख्यमंत्री अपन स्तर स विभागक चयन क रहल छथि आ सरकारी काज मे आयल बदलाव क समीक्षा कए रहल छथि। एहि यात्रा मे मुख्‍य रूप स नीतीश कुमार एहि गपक जानकारी ल रहल छथि जे पटना क गप केतबा मजबूती स जिला मुख्‍यालय तक पहुंच रहल अछि आ पिछला यात्राक दौरान देल गेल दिशा- निर्देश क असर सर्वर भेल या स्‍थानीय स्‍तर पर सिमटल रहल। यात्राक उद़देश्‍य जे रहए मुदा एतबा त जरूर जे किछु काल लेल सही मुख्‍यमंत्री जनता क बीच ओकर दुहारि तक पहुंच रहल छथि। ओना इतिहास देखी त पहिने साल मे एक दू बेर जनता पटना बजा लेल जाइत छल, आब मुख्‍यमंत्री जनता तक पहुंच जाइत छथि। यैह बहाने सडक आ बिजली सन मूलभूत सुविधा सेहो किछु इलाका मे किछु काल लेल सही ठीक भ जाइत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments