नीतीश देलथि भागलपुर स हवाई सेवा कए मंजूरी

डीएम क एनओसी भेटला पर होएत तिथिक घोषणा
मुख्यमंत्री विमान रखबा लेल देलथि स्टेट हैंगर
पूरा होएत भाजपा सांसद शाहनवाज क सपना
भागलपुर: भागलपुर स हवाई सेवा शुरू करबाक भाजपा सांसद शाहनवाजक सपना आखिरकार पूरा भ गेल। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार ऐतिहासिक फैसला लैत पटना एयरपोर्ट पर पहिल बेर स्टेट हैंगर मे कोनो निजी कंपनी कए विमान रखबा लेल जगह देबाक प्रस्ताव कए मंजूरी प्रदान क देलथि अछि। पटना-भागलपुर हवाई सेवा लेल इ मंजूरी जरूरी छल। मुख्यमंत्री क मंजूरी भेटला स उत्साहित स्काई फिशर एयरवेज लिमिटेड घोषणा केलक अछि जे ओकर पहिल उड़ान पटना आ भागलपुर क बीच होएत। ओना इ तखने संभव होएत जखन भागलपुर रनवे पर सेटअप तैयार रहत आ टेक ओवर आ लैंडिंग लेल भागलपुर जिला प्रशासन एनओसी देत। कंपनी कए उम्मीद अछि जे एनओसी भेटबा मे आब कोनो दिक्कत नहि हेबाक चाही, किया त पटना एयरपोर्ट पर पार्किग लेल मुख्यमंत्री स अनुमति भेटलाक बाद जिला प्रशासन सेहो सहयोग करबा लेल आगू आउत। एहि स पहिने वाराणसी मे पार्किग क अनुमति भेटल छल, मुदा ओहि ठाम ठहराव स भागलपुर स सेवा शुरू नहि कैल जा सकैत छल। कंपनी क कहब अछि जे भागलपुर मे सेटअप तैयार करबा मे आ एनओसी लेबा मे एक माह तक समय लागत त कंपनी सेवा शुरू करत नहि त कंपनी आब बेसी घाटा नहि उठा सकैत अछि। ज्ञात हुए जे कंपनी क जहाज एखन सिंगापुर मे राखल अछि जेकर किराया कंपनी कए रोजना चुकेबा पडि रहल अछि। एहन में कंपनी पटना, गया आ वाराणसी क बीच हवाई सेवा शुरू क देत। कंपनी कहब अछि जे हवाई सेवा शुरू करबा लेल राज्य प्राधिकारी स अनुमति प्राप्त कैल जा चुकल अछि। पटना स भागलपुर लेल प्रस्तावित हवाई सेवा कए शुरू करबा लेल सेहो मंजूरी द देल गेल अछि। कंपनी क कहब अछि जे राज्य स्तर पर जे एकटा बाधक छल सेहो खत्म भ गेल अछि मुख्यमंत्री कार्यालय स अंतिम फैसला क रूप मे निर्णय कंपनी क पक्ष मे आबि गेल अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments