नीतीश जारी केलथि अपन रिपोर्ट कार्ड


मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अपन साढ़े चार साल क कार्यकाल क शुक्र दिन सरकारी रिपोर्ट कार्ड जारी करि देलथि। एहि कार्ड कए मुख्यमंत्री क विकास कार्ड कहब गलत नहि होएत। इ रिपोर्ट कार्ड पूरा किताब अछि, जाहि मे नीतीश क कार्यकाल क काजक ब्योरा देल गेल अछि। इ सरकार क आखिरी रिपोर्ट कार्ड छी। रिपोर्ट कार्ड कए जारी करबा लेल आयोजित समारोह मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, उप-मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी, सहकारिता मंत्री गिरिराज सिंह, पशुपालन मंत्री सहित कईटा अन्य मंत्री आ अधिकारी मौजूद छलाह। रिपोर्ट कार्ड मे जे हुए लेकिन नीतीश कुमार अपन एकटा वादा जरूर पूरा केलथि जे ओ हर साल अपन सरकारक रिपोर्ट कार्ड जनताक बीच रखलथि, देखबाक अछि जे बिहार मे आब जे सरकार आउत ओ एहि प्रथा कए आगू ल जाएत या खत्म करि देत। किया कि लाख दावा क बावजूद विपक्ष सरकारी रिपोर्ट कार्ड क जबाव मे अपन रिपोर्ट कार्ड तैयार नहि कए सकल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.