नीतीश क विश्वास स राज्यकर्मी मे जगल आस

पटना । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार राज्यकर्मी कए भरोस देलथि अछि जे ओ हुनकर कठिनाई कए दूर करबाक हरसंभव प्रयास करताह। ओ कहला जे काज केनिहार कए सम्मान देबा लेल सरकार एकटा योजना बना रहल अछि आ हुनका उम्मीद अछि जे राज्यकर्मी क मेहनत, प्रतिभा आ ऊर्जा क लाभ प्रदेश कए भेटत। ओ कहला जे सरकार आ कर्मचारीक बीच संवादहीनता खत्म कैल जाएत, एकरा लेल जिला स लकए सचिवालय स्तर तक संस्थागत व्यवस्था विकसित कैल जाएत।
मुख्यमंत्री अपन आवास पर विभिन्न कर्मचारी आ पदाधिकारी संगठन क अलग-अलग दस प्रतिनिधिमंडल स भेंट करबा दौरान इ गप कहलाह। एहि स कर्मचारी संगठन क प्रतिनिधि कए नव साल मे सनेसक उम्मीद जगल अछि। संभवतः इ पहिल मौका छल जखन मुख्यमंत्री कर्मचारी संगठन क संग हुनकर समस्या पर बिंदुवार गप केलथि।
मुख्यमंत्री बिहार राज्य अराजपत्रित कर्मचारी महासंघ (गोप गुट), बिहार राज्य सरकारी कर्मचारी महासंघ, बिहार राज्य अराजपत्रित कर्मचारी महासंघ, बिहार पुलिस मेन्स एसोसिएशन, बिहार राज्य चतुर्थवर्गीय सरकारी कर्मचारी महासंघ, बिहार सचिवालय सेवा संघ, बिहार राज्य सरकारी मोटरयान चालक संघ, बिहार पुलिस एसोसिएशन आ बिहार राज्य राजपत्रित पदाधिकारी संघ क पदाधिकारी स अलग-अलग गप केलथि। संघक सदस्यक कठिनाइ, अपेक्षा आ सुझाव कए करीब छह घंटे तक संजीदगी स सुनलाक बाद नीतीश कुमार राज्य सरकार क वरिष्ठ अधिकारी कए एकर समीक्षा करि आवश्यक कार्रवाई करबाक तत्काल निर्देश देलथि।
सब संगठन क प्रतिनिधि मुख्यमंत्री द्वारा कैल गेल एहि पहल क लेल हुनकर आभार वयक्त केलथि। संगहि राज्य सरकार कए सबस्तर पर भरपूर सहयोग करबाक भरोस देलथि। कर्मचारी संगठन क पदाधिकारीक कहब अछि जे इ एकटा नीक शुरुआत अछि, एहि तरह क बैठक कम स कम छह मास पर एक बेर हेबाक चाही।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments