नीतीश क चारिम सेमेस्टरक रिपोर्ट कार्ड जारी

24nov42u
फाइनल रिपोर्ट कार्ड छह माह बाद
117 पुल आ 2019 किलोमीटर सड़क क लोकार्पण
प्रथम श्रेणी स पास करैवाली छात्रा कए भेटत 10-10 हजार टका पुरस्कार
रबी क मौसम मे सिंचाई क लेल सब्सिडी देबाक एलान

पटना। बिहार मे राजग सरकार क चारि वर्ष पूरा भ गेल। एहि मौका पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मंगलदिन अपन सरकार क रिपोर्ट कार्ड जारी केलथि। ओ एहि मौका पर कईटा घोषणा सेहो केलथि।
रिपोर्ट कार्ड जारी करैत मुख्यमंत्री कहला जे बिहार मे कईटा ऐतिहासिक आ धार्मिक स्थल अछि, जेकर विकास कैल जा रहल अछि। पटना मे जल्द एकटा विश्वस्तरीय संग्रहालय क स्थापना कैल जाइत। ओ कहलथि जे बिहार मे शिक्षा क स्तर काफी ऊंच उठल अछि। ओ प्रथम श्रेणी स पास करैवाली सबटा लड़की कए 10-10 हजार टका पुरस्कार देबाक ऐलान केलथि अछि।
मुख्यमंत्री कृषक के सेहो रबी क मौसम मे सिंचाई क लेल सब्सिडी देबाक एलान केलथि। ओ कहला जे रबी क मौसम मे कृषक कए डीजल मे प्रति लीटर 15 टकाक सब्सिडी देल जाइत।
हिन्दी, अंग्रेजी आ उर्दू मे जारी भेल अई रिपोर्ट मे मुख्य रूप स सरकार द्वारा पिछला चारि वर्ष मे कैल गेल काज आ विकास योजना क जानकारी देल गेल अछि। संगहि आगामी किछु दिन मे कैल जाइवाला काजक उल्लेख सेहो अछि।
नीतीश कुमार कहला जे आब बिहारी कए बिहारी कहाबै मे अपमान महसूस नहि होइत अछि। उओ कहला जे ओना त राज्य मे अपराध क ग्राफ कम भेल अछि, मुदा अगर आपराधिक घटना होइत अछि, त ओहि पर कार्रवाई सेहो होइत अछि।
कुमार कहला जे पिछला चारि साल मे एहि ठाम सांप्रदायिक सौहार्द्र क माहौल कायम अछि। ओ कहला जे भ्रष्टाचार क मुद्दा पर काफी किछु कैल जा रहल अछि, मुदा एखनो बहुत किछु करब बाकी अछि। ओ कहला जे हुनकर सरकार अपन पिछला तीन वर्षगांठ क मौका पर सेहो रिपोर्ट कार्ड जारी केने छलाहुं आ अगिला छह माह क बाद सेहो रिपोर्ट कार्ड जारी कैल जाइत। एहि मौका पर मुख्यमंत्री 117 पुल आ 2019 किलोमीटर सड़क क लोकार्पण सेहो केलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments