नीतीश कए जान स मारबाक धमकी

पटना। प्रतिबंधित संगठन सीपीआई (माओवादी) बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए जान स मारबाक धमकी देलक अछि। आधिकारिक सूत्र क अनुसार एकटा निजी टीवी चैनल क रिपोर्टर कए माओवादी एक एसएमएस पठेलक अछि, जाहि मे इ धमकी देल गेल अछि जे यदि हन्ुनकर दू टन नेता कए जेल स रिहा नहि कैल गेल त नीतीश कुमार क हत्या करि देल जाइत। बिहार राज्य गृह विभाग क प्रमुख सचिव आमिर सुभानी क अनुसार ‘डबलूÓ नामक एकटा नक्सली नेता मोबाइल नंबर 09308670993 स उक्त रिपोर्टर कए एसएमएस पठेलक अछि। एसएमएस मे नक्सली नेता रविजी आओर दीरेन सिंह कए रिहा करबाक मांग कैल गेल अछि। प्रमुख सचिव कहलथि जे पुलिास महानिदेशक आनंद शंकर आ आईजीपी (ऑपरेशन) एसके भारद्वाज पूरा मामला क जांच क रहल छथि। ओना एहि सूचनाक बाद मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क सुरक्षा बढ़ा देल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments