नीतीशक मंशा ठीक, मुदा काज संतोषप्रद नहि : राहुल


पटना। कांग्रेस महासचिव राहुल गांधी कहला अछि जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक मंशा ठीक अछि, मुदा हुनकर काज संतोषप्रद नहि अछि। पटना मे आयोजित अपन पहिल पत्रकार सम्मेलन मे राहुल कहलथि जे बिहार मे विकास देखा नहि रहल अछि। केंद्र स विभिन्न योजना मद मे पठाउल गेल टका सही आदमी तक नहि पहुंच रहल अछि। नरेगा एहि ठाम भ्रष्ट्राचार क शिकार अछि। केंद्र बिहारक मदद लेल तैयार अछि, जेतबा राशि देल गेल अछि, ओकर उपयोग उचित रूप मे हुए त विकास आम लोक तक पहुंचत।

महंगाई पर राज्य सरकार मात्र गप करैत अछि : राहुल
महंगाई क सवाल पर राहुल कहलथि जे एकर दूटा कारण अछि। पहिल अंतरराष्ट्रीय आ दोसर घरेलू। अंतरराष्ट्रीय मामला मे केंद्र सरकार उचित कदम उठा रहल अछि। मुदा घरेलू कारण जेना जमाखोरी पर केंद्र कए नहि राज्य कए कार्रवाई करबाकछैक। बिहार सरकार एकरा रोकबा लेल कोनो कार्रवाई नहि केलक अछि, त महंगाई कोना रोकल जा सकैत अछि।

ठाकरे परिवार प्रतिक्रिया देबा योग्य नहि : राहुल
कांग्रेस क महासचिव राहुल गांधी कहब अछि जे ठाकरे एंड फैमिली प्रतिक्रिया देबा योग्य नहि छथि। हमरा बाल ठाकरे या महाराष्ट्र नवनिर्माण सेना प्रमुख राज ठाकरे क नजरिया मे कोनो दिलचस्पी नहि अछि। हमरा एहि पर किछु नहि कहबाक अछि जे ओ सब की सोचैत छथि। लोकतंत्र मे सबकए अपन मत रखबाक अधिकार छै। मुदा हमर मानब अछि जे भारत क एक-एक इंच जमीन भारतीय क छी।
राहुल गांधी मुंबई आतंकी हमला मे बिहार क जांबाज कमांडो क बलिदान क भूरि-भूरि प्रशंसा केलथि। ओ कहला जे मुंबई मे आतंकी हमला क दौरान मुकाबला करबा लेल एनएसजी जवान मे बिहार, उत्तर प्रदेश, गुजरात, हिमाचल प्रदेश आ महाराष्ट्र क बहादुर शामिल छलथि। ओहि समय शिवसेना नहि कहलक जे बिहार और उत्तर प्रदेश क जवान कए बाहर निकालू। भारत कए आगू बढ़ेबाक अछि त ओकर सब नागरिक कए आगू करय पड़त आ हमरा भारतक चिंता अछि। गांधी कहला जे महाराष्ट्र कए बनेबा बिहारी क महत्वपूर्ण योगदान रहल अछि। अगर आतंकी स जूझबाक अछि त बिहारी कए रहब जरूरी अछि।

कांग्रेस आम लोक स दूर अछि : राहुल
कांग्रेस महासचिव राहुल गांधी स्वीकार केला जे पर्टी बिहार मे जनता स दूर अछि। राहुल कहला जे पार्टीक नेता जनताक नब्ज कए नहि पकड़ी पाबि रहल छथि। जनताक गप जखन धरि पार्टी नेताक मंच पर नहि रखताह पार्टी चुनाव मे नीक परिणाम नहि आनि सकैत अछि। ओ एक बेर फेर कहला जे कांग्रेस अपन दम पर चुनाव मे उतरत आ पार्टी नव चेहरा कए मौका देत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments