नियोजित शिक्षक कए पेंशन देबाक तैयारी

पटना। राज्य सरकार करीब 2.60 लाख नियोजित शिक्षक कए पेंशन देबाक व्‍यवस्‍था करि लेलक अछि। माइक्रो पेंशन क नाम स एकटा योजना तैयार भेल अछि। एहि संबंध मे प्रस्ताव कए वित्त विभाग क मंजूरी सेहो भेट गेल अछि। निकट भविष्य मे एकर घोषणा भ सकैत अछि। प्राप्त जानकारी क अनुसार इ पेंशन योजना यूनिट ट्रस्ट आफ इंडिया क सहयोग स चलाउल जाएत। सरकार एहि मद मे प्रति शिक्षक 200 टकाक राशि यूटीआइ कए देत। अगर इ योजना परवान चढल त 2.60 लाख शिक्षक कए एकर लाभ भेटत। एहि योजना क खासियत इ अछि जे एहि मद मे शिक्षक कए वेतन स कोनो किस्म क कटौती नहि होएत। एहि संबंध मे मानव संसाधन विकास विभाग क प्रधान सचिव अंजनी कुमार सिंह सरकार क एहि योजनाक संबंध मे तत्‍काल किछु कहबा स बचलाह मुदा एतबा कहलाह जे एहन किछु विचार भ रहल अछि। सिंह क अनुसार माध्यमिक शिक्षक पात्रता परीक्षा क जरिये 12 हजार शिक्षक कए नियोजित कैल जाएत। प्रथम दिन टीइटी क करीब 45 हजार आवेदन पत्रक बिक्री भेल अछि। एहि हिसाब स फार्म घटबाक सवाल नहि अछि। 12 लाख आवेदन पत्र अछि जेकर बिक्री हेबाक अछि। प्रधान सचिव कहला जे छात्र क हाथ स शिक्षकक मूल्यांकन मे कोनो दिक्‍कत नहि अछि, एकरा ल कए एखने स अनावश्यक हाय-तौबा मचि रहल अछि। एकरा त विश्वविद्यालय मे सेहो लागू करबाक अछि। एहि स फीडबैक भेटैत अछि जे के छात्र क बीच बेसी लोकप्रिय छथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. Bihar Sarkarak e neek kadam achhi. Niyojit sikshak ke pension ta bhetbake chahi, darmaha seho mahngai ke dekhait kam sa kam 15000 taka mahina hebak chahi.

Comments are closed.