नियुक्त हेताह 8463 कृषक सलाहकार

पटना। राज्य सरकार खेती क कृषि क विकास क लेल प्रगतिशील किसान कए कृषक सलाहकार क रूप मे नियुक्त करबाकफैसला केलक अछि। हर पंचायत मे एकटा कृषक सलाहकार हेताह। यानी सूबा मे 8463। हिनका ढाई हजार टका मासिक मानदेय क भुगतान कैल जाएत। बुधदिन मंत्रिमंडल क बैठक मे एकरा मंजूरी द देल गेल। कैबिनेट हिंसा मे मौत क लेल नव नीति क निर्माण केलक अछि। आब मौत पर एक लाख टका क मुआवजा देल जाएत। सामूहिक नरसंहार क मामला मे एक लाख क मुआवजा क संग आश्रित कए सरकारी नौकरी सेहो भेटत। बैठक मे अलीगढ़ मुस्लिम विश्वविद्यालय द्वारा राज्य मे कैम्पस क स्थापना क लेल अलीगढ़ विवि कए 250 एकड़ जमीन नि:शुल्क स्थानांतरित करबाक निर्णय लेल गेल। मंत्रिपरिषद क बैठक क बाद प्रधान सचिव कैबिनेट अफजल अमानुल्लाह कहला जे कृषक सलाहकार योजना क 36.27 करोड़ टका क लागत पर क्रियान्वयन क स्वीकृति द देल गेल। हिनकर चयन जिलाधिकारी क अध्यक्षता मे गठित कमेटी करत। चयन मे आरक्षण रोस्टर क पालन कैल जाएत। बाद मे हिनका राजेन्द्र कृषि विवि-कृषि विज्ञान केन्द्र मे प्रशिक्षण देल जाएत।
एकर संगे बेगूसराय नगर निगम क्षेत्र क बीच अवस्थित पंचायत विशनपुर क अंतर्गत खातोपुर गांव कए निगम क्षेत्र मे शामिल करबाक प्रस्ताव कए सेहो हरी झंडी द देल गेल। नेताजी सुभाष चंद्र बोस क जयंती 23 जनवरी कए हर साल देश प्रेम दिवस क रूप मेे मनेबाक प्रस्ताव कए घटनोत्तर स्वीकृति द देल गेल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments