नियुक्त हेताह हजार स बेसी सचिवालय सहायक

0
3
esamaad maithili newspaper

पटना। सचिलवाय सहायक क रूप मे 1034 नियुक्ति क लेल रास्ता साफ भ गेल अछि। जल्द नियुक्ति क प्रक्रिया शुरू होएत। सामान्य प्रशासन विभाग एहि संबंध मे जल्द बिहार कर्मचारी आयोग कए अधियाचना पठेबाक तैयारी मे अछि। अभियाचना प्राप्त भेलाक बाद कर्मचारी चयन आयोग जल्द परीक्षा आयोजित करत। 1034 सहायक क सीट मे सामान्य कोटा क लेल 517 सीट होएत, जखनकि 166 पद अनुसूचित जाति क लेल, 10 अनुसूचित जनजाति क लेल, 186 अत्यंत पिछड़ा वर्ग क लेल, 124 पिछड़ा वर्ग क लेल आ 31 पद पिछड़ा वर्ग क महिला क लेल निर्धारित अछि। एखन सचिवालय मे 3136 सहायक क पद निर्धारित अछि, जखनकि कार्यरत 1800 अछि। बिहार सचिवालय सेवा क तौर पर हिनकर वेतनमान 9300-34800 (ग्रेड पे 4600) होएत। एहि सेवा क लेल न्यूनतम योग्यता स्नातक होएत।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page