निजी कोचिंग संचालक पर नकेल कसत सरकार

0
3
esamaad maithili newspaper

पटना। शिक्षा विभाग क प्रधान सचिव अंजनी कुमार सिंह क कहब अछि जे सरकार निजी कोचिंग संचालक पर नकेल कसत। ओ कहला जे निजी संस्थान कए चलेबा लेल जल्द सरकार एकटा कानून बनाउत। ओ कहला जे छात्र शांति बनाने रहथि, सरकार हुनकर शिकायत कए सुनि ओकरा दूर करत। शिक्षा विभाग क अधिकारी क संग भेल आजुक बैठक मे निजी कोचिंग संचालक कए सेहो बजाउल गेल छल।
उल्लेखनीय अछि जे पटना मे निजी कोचिंग संचालक क मनमानी क विरोध मे दू दिन स छात्र सड़क पर उतरि गेल छथि। एहि दौरान छात्र आगजनी केलथि आ कईटा वाहन कए आगि क हवाले करि देलथि। पुलिस कए छात्र पर लाठी भांजए पड़ल। एकटा कोचिंग सेंटरक सुरक्षागार्ड क गोली स छात्रक मौत भ गेल, जाहि स मामला आओर गंभीर भ गेल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पूरा मामलाक जांच क आदेश देलथि अछि। ओना पुलिस एखन धरि एहि मामला मे ककरो गिरफ्तार नहि केलक अछि। बिहार मे एहि साल विधानसभा चुनाव अछि एहन मे विपक्ष एहि प्रकारक घटना कए हाथो हाथ लेबाक प्रयास मे लागि गेल अछि। बिहार क इतिहास रहल अछि जे महामाया बाबू सन नेता अराजकछात्र कए जिगरक टुकड़ा कहि मुख्यमंत्रीक पद त पहुंचल छलाह, ओतहि जेपी कसंपूर्ण आंदोलन क बीज सेहो एहने छोट सन छात्र आंदोलन स उपजल छल। एहन मे एहि मामलाक शीघ्र खुलासा हेबाक चाही जे आखिर एहि आंदोलनक पाछु असली कारण की अछि आ छात्रक मौत केकर गोली स भेल अछि। इ दूनू सवाल एखन धरि उत्तर ताकि रहल अछि।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page