नालंदा विश्वविद्यालय प्रोजेक्ट देश क लेल महत्वपूर्ण

पटना । प्रधानमंत्री डॉ मनमोहन सिंह कहला अछि जे नालंदा अंतरराष्ट्रीय विश्वविद्यालय क स्थापना क प्रोजेक्ट केवल बिहार नहि,बल्कि पूरा देश क लेल महत्वपूर्ण अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए लिखल पत्र मे ओ कहला अछि जे केन्द्र सरकार एकर स्थापना मे हर संभव मदद करत।
डॉ सिंह कहला अछि जे केन्द्र सरकार नालंदा विश्वविद्यालय क प्रोजेक्ट कए बहुत महत्व द रहल अछि। नोबल पुरस्कार विजेता अमत्र्य सेन क अध्यक्षता मे बनल विश्वविद्यालय क मेंटर ग्रुप स एकर स्थापना क लेल आवश्यक गप क जानकारी लेबाक पश्चात 25 अक्टूबर कए ईस्ट एशिया समिट क सदस्य देश स हम गप केलहुं अछि। केन्द्र सरकार नालंदा अंतरराष्ट्रीय विश्वविद्यालय क स्थापना क लेल आवश्यक प्रशासनिक एवं कानूनी कदम उठा रहल अछि। विश्वविद्यालय क स्थापना मे मदद क लेल मुख्यमंत्री श्री कुमार प्रधानमंत्री कए किछु दिन पूर्व पत्र लिखने छलाह। प्रधानमंत्री एहि स पूर्व एशियान सम्मेलन मे सदस्य देश स एकर स्थापना क लकए गप केने छलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments