नालंदा विश्वविद्यालय क स्थापना लेल आर्थिक मदद देत सिंगापुर

नई दिल्ली। सिंगापुर के विदेश मंत्री जॉर्ज यो क कहब अछि जे नालंदा विश्वविद्यालय क स्थापना गूंज पूरा विश्व मे सुनाई द रहल अछि। पिछला साल भेल पूर्वी एशियाई देश क शिखर बैठक मे भारत क एहि पहल क स्वागत सब देश केने छल। ओ कहला-एशिया मे जे एहि परियोजना क बारे मे सुनैत अछि ओकर दिल क धड़कन तेज़ भ जाइत अछि। एक बेर जखन एकर रुपरेखा तैयार भ जाएत त ओहि नवका एशिया मे हमर सेहो योगदान होएत जे एखन बनि रहल अछि। ओ कहला जे सिंगापुर क बौद्ध संगठन प्रस्तावित नालंदा विश्वविद्यालय मे एकटा पुस्कालय बनेबा लेल तकरीबन 50 लाख स एक करो़ड डॉलर तक देबा क पेशकश केलक अछि। इ एकटा अनुकरणीय उदाहरण अछि। ओ कहला जे विश्वविद्यालय क लेल संरक्षक समूह सार्वजनिक और निजी क्षेत्र स वित्तीय मदद लेबा पर नजरि रखने अछि। विश्वविद्यालय क निर्माण मे अनुमानित 1,005 करो़ड टका क लागत आउत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments