नालंदा यूनिवर्सिटी लेल 7 देश मे समझौता

ब्रुनेई : नालंदा यूनिवर्सिटी कए फेर स ठार करबा लेल भारत सातटा देश संग आपसी सहमति पत्र (एमओयू) पर हस्ताक्षर केलक। एमओयू ऑस्ट्रेलिया, कंबोडिया, सिंगापुर, ब्रुनेई, न्यू जीलैंड, लाओस आ म्यांमार संग साइन कैल गेल अछि। गौरतलब अछि जे इ देश सब पहिने एहि योजना कए मदद देबा पर सहमति जतेने छल। इ समझौता पूर्वी एशियाई सम्मेलन (ईएएस) मे कैल गेल अछि। प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह सम्मेलन कए संबोधित करैत कहला जे इ परियोजना कए अपन समर्थन देनिहार देश क प्रति आभार जतेलथि। ओ कहला जे बतौर इंटरनैशनल इंस्टिट्यूट नालंदा यूनिवर्सिटी क स्थापना क उद्देश्य मे सहयोग लेल हम पूर्वी एशियाई सम्मेलन मे शामिल होईवाला देश क आभार व्यक्त करैत छी। हमरा खुशी अछि जे एहि यूनिवर्सिटी लेल एमओयू पर हस्‍ताक्षर करबाक प्रक्रिया शुरू भ गेल अछि। यूनिवर्सिटी मे अगिला साल स अकैडमिक सेशन क शुरुआत होएत।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments