नालंदा मे इंडोर शूटिंग रेंज क उद्घाटन

बिगहा (नालंदा)। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कल्याण बिगहा मे इंडोर शूटिंग रेंज क उद्घाटन केलथि अछि संगहि ओ ओपन शूटिंग रेंज क निरीक्षण सेहो केलथि। एहि अवसर पर मुख्यमंत्री कहला जे बिहार खेलक मामला मे सेहो आगू भ रहल अछि आ एहि ठाम खेल क सुविधा धीरे-धीरे बढाउल जा रहल अछि। मुख्‍यमंत्री कहला जे कोनो क्षेत्र मे बिहारक लोक कमजोर नहि अछि बस सुविधाक अभाव ओकरा आगू बढबा स रोकि रखने अछि। ओ कहला जे बिहार मे प्रतिभा क कमी नहि अछि, जरूरत अछि त बस ओकरा तराशबाक। इंडोर शूटिंग रेंज क उद्घाटन करबाक बाद मुख्यमंत्री रेंज मे गेलाह आ बच्‍चा क निशानेबाजी कए लग स देखलाह।
मुख्‍यमंत्री अपन पैतृक गाम कल्याण बिगहा स्थित अपन पिता वैद्यराज रामलखन सिंह क नाम पर निर्मित वाटिका सेहो गेलाह जाहि ठाम पत्‍‌नी मंजू सिन्हा क प्रतिमा पर माल्यार्पण केलथि। शनिदिन हुनकर पांचम पुण्यतिथि छल। एहि दौरान हुनकर पुत्र निशांत सेहो छलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. Nitish Jee Sirf Nalanda, Badh, Patna (NAV NCR) se aagu badhu bihar me dosro dham vikas hewak chahi nahi ki NAV NCR ta me Bihar me sabse pichharal shetra Mithila dish seho dyan diyo. Dhanyabad.

Comments are closed.