नालंदा में बनत अंतरराष्ट्रीय स्तर क क्रिकेट स्टेडियम

0
2
esamaad maithili newspaper

पटना : बिहार मे आब अंतरराष्ट्रीय स्तर क क्रिकेट मैच देखबाक मौका भेटत। सरकार नालंदा जिला क राजगीर मे एकटा आधुनिक अंतरराष्ट्रीय स्तर क क्रिकेट स्टेडियम बनेबाक निर्णय लेलक अछि। राज्य मंत्रिमंडल मंगलदिन बिहार मे अंतरराष्ट्रीय स्तर क एकटा क्रिकेट स्टेडियम स्थापित करबाक प्रस्ताव कए मंजूरी द देलक। पटनाक मोइनुलहक स्टेडियम क बाद इ दोसर अंतरराष्टÑीय स्तरक स्टेडियम होएत। अधिकारी क कहब अछि जे स्टेडियम निर्मित करबा लेल राज्य सरकार अगिला साल भूमि अधिग्रहण क प्रक्रिया शुरू करत। हालांकि ओ इ नहि कहला जे एहि स्टेडियम क निर्माण पर केतबा टका खर्च होएत आ इ कहिया धरि बनि कए तैयार भ जाएत।

ज्ञात हो जे वर्तमान समय मे राज्य मे एकमात्र स्टेडियम पटना स्थित मोइन-उल-हक स्टेडियम अछि। एहि स्टेडियम मे राष्ट्रीय आ अंतरराष्ट्रीय स्तर क क्रिकेट मैच आयोजित भ चुकल अछि। नवका स्टेडियम पटना स 100 किमी दूर बौद्ध धार्मिक स्थल आ पर्यटन स्थल राजगीर मे निर्मित कैल जा रहल अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page