नालंदा मुक्त विश्वविद्यालय क मुख्यालय नालंदा जाएत

नयी दिल्ली । सरकार कहलक अछि जे नालंदा मुक्त विश्वविद्यालय क मुख्यालय कए जल्द स जल्द पटना स नालंदा स्थानांतरित कैल जाएत। मानव संसाधन विकास राज्य मंत्री डी पुरंदेश्वरी कहलीह जे बिहार सरकार द्वारा उपलब्ध कराउल गेल सूचना क अनुसार नालंदा मुक्त विश्वविद्यालय कानून 1956 क धारा 3 (।) क तहत एकर मुख्यालय नालंदा मे उपलब्ध करेबाक प्रावधान अछि। मंत्री कहलथि जे, कानून क अनुसार बिहार सरकार विश्वविद्यालय कए यथाशीघ्र अपन मुख्यालय नालंदा स्थानांतरित करेबाक निर्देश देलक अछि। ओ कहलथि जे विश्वविद्यालय क लेल भूमि अधिग्रहण आ आधारभूत सुविधा क निर्माण क प्रक्रिया चलि रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments