नालंदा क लेल चीन देत एक मि‍लि‍यन डालर

पटना । कहियो दुनिया क सबस प्रतिष्ठित विश्वविद्यालय मे स एक बिहार क नालंदा यूनिवर्सिटी फेर स्थापित भ रहल अछि। चीन चाहैत अछि जे नालंदा विश्वविद्यालय कए पुरान गौरव भेट जाए। एकरा लेल चीन बिहार सरकार कए एक मि‍लि‍यन डालर क मदद देबा लेल तैयार अछि।
नालंदा यूनिवर्सिटी कए संबंध मे आर बेसी जानकारी लेबा लेल भारत मे चीन क राजदूत झांग यान एखन बिहार आयल छथि। ओ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स भेंट करि एक मि‍लि‍यन डालर क आर्थिक सहायता देबाक एलान केलथि अछि। चीन चाहैत अछि जे नालंदा मे फेर स पांचवीं शताब्दी जइसन गौरवशाली विश्वविद्यालय स्थापित हुए।
चीनी राजदूत झांग यान कहला, ऐतिहासिक नालंदा यूनिवर्सिटी कए दोबारा स्थापित करबा लेल चीन एक मि‍लि‍यन डालर क सहायता देत। ओना एहि संबंध मे एकटा कानून सेहो बनाउल जा चुकल अछि। नालंदा यूनिवर्सिटी बिल 2010 क तहत नालंदा जिला मे केंद्रीय विश्वविद्यालय बनाउल जा रहल अछि।
एहि प्रस्तावित नालंदा विश्वविद्यालय क चीन क इतिहास मे खासा महत्व अछि। नालंदा पांचवीं शताब्दी स 12वीं शताब्दी तक उत्तर भारत आ बौद्ध धर्म क प्रमुख ज्ञान केंद्र रहल, बुद्ध आ महावीर कई बेर नालंदा मे ठहरल छथि, मुदा आब तस्वीर खंडहरमयी भ चुकल अछि। विश्वविद्यालय मे केवल टूटल-फूटल अवशेष बचल अछि। जेकरा देखबा लेल चीनी राजदूत झांग सपत्नी नालंदा पहुंचलाह अछि।
मुख्यमं9ी स चर्चाक दौरान झांग नीतीश कुमार कए चीन एबाक न्योत सेहो देलथि अछि। न्योत स्वीकार करैत नीतीश कहला जे समय निकाली ओ चीन जरूर जेताह।
यान कहला जे चीन द्वारा बिहार कए कृषि, उद्योग आ आधारभूत संरचना क क्षेत्र मे मदद कैल जा सकैत अछि। चीनी राजदूत कहला जे बिहार क आर्थिक प्रगति कए चीन गंभीरता स ल रहल अछि आ एहि राज्यक मदद लेल तैयार अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments