नाबार्ड खर्च करत 22 हजार करोड़

पटना । नाबार्ड वित्तीय वर्ष 2010-11 क दौरान राज्य मे प्राथमिकता वाला क्षेत्र मे 22159 करोड़ खर्च करत। इ गप वित विभाग क प्रधान सचिव भानु प्रताप शर्मा द्वारा जारी स्टेट फोकस पेपर मे कहल गेल अछि। एहि पर नाबार्ड क मुख्य महाप्रबंधक डॉ संदीप घोष कहला जे कृषि क्षेत्र मे बैंक क दिस स 15868 करोड़ खर्च करबाक योजना तैयार अछि। जहां तक गैर कृषि क्षेत्र क सवाल अछि त आहि क्षेत्र मे बैंक क दिस स 1590 करोड़ खर्च हनएत। एग्रो फूड प्रोसेसिंग क्षेत्र मे 357 करोड़ आ अन्य प्राथमिकतावाला क्षेत्र मे 4343 करोड़ टका खर्च करबाक तैयारी अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments