नाबार्ड क किसान क्लब स बदलल सूरत

पटना। राष्ट्रीय कृषि और ग्रामीण विकास बैंक आ राज्य सरकार क साझेदारी मे गांम मे खुल रहल किसान क्लब स कृषक कए कृषि क्षेत्र क नवीनतम सूचना भेट रहल अछि। नाबार्ड न्यूनतम दस सदस्य वाला क्लब कए स्वीकृति देलक अछि। किसान क्लब क सदस्य कए आर्थिक मदद क रूप मे सामूहिक रूप स संचालन क लेल ग्रामीण विकास बैंक क दिस स तीन साल तक दस-दस हजार टका देल जाइत अछि। राज्य सरकार बिहार भू जल सिंचाई योजना क लाभ स सेहो किसान क्लब कए जोड़लक अछि। किसान क्लब कए सिंचाई योजना क यूनिट क लाभ त भेटते संगहि ओ निरीक्षण क लेल सेहो अधिकृत कैल जाइत। पंचायती राज संस्थान, पैक्स, पोस्ट आफिस, कृषि विज्ञान केंद्र सन संस्था क्लब क सदस्य कए आर्थिक सहायता क संगहि अत्याधुनिक तकनीक क ज्ञान आ सरकार क योजना क लाभ सेहो दियउत। नाबार्ड क योजना अछि जे कृषि विपणन क क्षेत्र मे सेहो इ क्लब बेहतर प्रदर्शन करे। लघु, सीमांत आ छोटे-छोटे निर्धन किसान कए बैंकिंग व्यवस्था स परिचित करेबा लेल ओकरा प्रशिक्षण सेहो किसान क्लब क गठन क प्रमुख उद्देश्य अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments