नहि भ सकल गंगा क लहरि पर कैबिनेट क बैठक

IND09123Bपटना। गंगा मे व्याप्त प्रदूषणक प्रति लोक कए जागरूक करबाक उद्देश्य स प्रस्तावित गंगा नदी क लहरि पर कैबिनेट क बैठक क लेल कनि आओर बाट ताकए पड़त। मंगलदिन क बैठक पर्यटन निगम क जलयान ‘एमवी गंगा विहारÓ पर प्रस्तावित छल, मुदा अंतिम समय मे कार्यक्रम कए टालि देल गेल। सूत्र क अनुसार मुख्यमंत्री क अस्वस्थता कए देखैत एकरा मुख्य सचिवालय क कैबिनेट हाल मे करबाक निर्णय लेल गेल। मंत्रिमंडल विभाग गंगा क लहर पर बैठक करबाक संबंध मे सूचना प्रसारित करि देने छल। कहल गेल छल जे पौने चारि बजे बांकीपुर क्लब घाट पर जलयान मे स्थान ग्रहण करि ली। बैठक चारि बजे स निर्धारित छल। इ पहिल मौका होइते जखन गंगा क थिरकैत लहर पर मंत्रिमंडल क सदस्य कैबिनेट क बैठक कए नीतिगत निर्णय लइतथि। मुख्य सचिवालय क बाहर मुख्यमंत्री आवास मे विशेष परिस्थिति मे बैठक होइत अछि। हां, पटना क बाहर किछु माह पूर्व विकास यात्रा क क्रम मे बेगूसराय क बरबिग्घा गाम मे कैबिनेट क बैठक भ चुकल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments