नहि बढ़त होल्डिंग टैक्स

0
8
esamaad maithili newspaper

पटना। गृह स्वामी लेल इ राहत देईवाला समाद अछि। राज्य सरकार तत्काल होल्डिंग टैक्स बढ़ेबा स इनकार करि देलक अछि। नगर विकास विभाग क अधिकारी आ राज्य क नगर निकाय क मुख्य कार्यपालक पदाधिकारी क संग बैठक मे उप मुख्यमंत्री सह नगर विकास विभाग क प्रभारी मंत्री सुशील कुमार मोदी स्पष्ट करि देलथि जे राज्य सरकार कोनो नगर निकाय क्षेत्र मे वर्तमान मे होल्डिंग टैक्स बढ़ेबाक अनुमति नहि देत। ओ कहला जे किछु नगर निकाय होल्डिंग टैक्स बढ़ेबा लेल राज्य सरकार स अनुमति मंगलक अछि। राज्य सरकार सम्यक विचार क बाद निर्णय करत मुदा तत्काल टैक्स बढ़ेबाक अनुमति नहि देत। ओ कहला जे सरकारी निर्देश क उल्लंघन करैत नगर निकाय मे एखनो तरकारी वाला, खोमचा वाला, ठेला वाला आदि क संग बंदोबस्ती क कार्रवाई हेबाक शिकायत भेटि रहल अछि। उप मुख्यमंत्री कार्यपालक पदादधिकारी कए तत्काल प्रभाव स एहन बंदोबस्ती पर रोक लगेबाक निर्देश देलथि।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page