नहि बदलल शाही सवारी क अंदाज

बिहार पर्यटन निगम आम लोक लेल शाही सवारी क शुरुआत केलक अछि। धनतेरस दिन बिहारक उपमुख्‍यमंत्री सुशील कुमार मोदी एहि सवारीक उदघाटन केलथि। कहबा लेल इ आम लोक लेल अछि, मुदा एहि शाही सवारी क आनंद लेब एहि महंगाईक जमाना है कोनो शाही शौक स कम नहि। एतबा भुगतान करबा क सामर्थ जिनका ओहि जमाना मे छल हुनका लेल ओहि जमाना मे सेहो इ उपलब्‍ध छल। तखन इ बुझब कठिन अछि जे राजा महाराजा युग मे जे तबका एकरा शाही सवारी कहैत छल, ओ एहि पर धुमबाक आनंद ल सकत बा नहि। उम्‍मीद अछि निगम क इ योजना पिछला किछु योजना जेकां सफल होएत आ बिहार कए एहि स किछु फायदा होएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments