नहि खसै देब पाग क प्रतिष्ठा : नीतीश

jalsa ko khitab karteदरभंगा कए भेटल बाइपास क सनेस
दरभंगा । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे जनता हुनकर माथ पर जे पाग रखलक अछि ओ ओकर रक्षा आ प्रतिष्ठा कायम रखबा लेल अपन पूरा ताकत लगा देताह। सेवा यात्रा क क्रम मे दरभंगा पहुंचल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार दरभंगा कए कईटा सनेस देलथि। मुख्यमंत्री एक कात अरई पुल क उद्घाटन केलथि त दोसर कात दरभंगा लेल बाइपास क आधारशिला रखलथि। 72 करोड़ 66 लाख 73 हजार टका क लागत स एकमी स सोभन तक इ पथ बनत। एहि अवसर पर मुख्यमंत्री कहला जे क्षतिग्रस्त सरवर पुल क जांच कोनो बदलाक भावना लेल नहि कराउल जा रहल अछि। जिनकर कार्यकाल मे इ बनल छल्ल आ एतबा जल्दी पुल ध्वस्त भ गेल इ जांच हेबाक चाही किया त एखन जे पुल बना रहल छथि ओ बुझि लेथि जे काज मे कोनो गड़बड़ी करताह त कार्रवाई होएत। मुख्यमंत्री कहला जे पिछला साढ़े सात साल मे ओ बिहार क विकास मे अपन सबटा ताकत लगा रखने छथि। मुख्यमंत्री कहला जे विकास त भ रहल अछि मुदा एहि गति स काज नहि चलत आ गति बढेबा लेल केंद्र स विशेष राज्य दर्जा क मांग भ रहल अछि। इ मांग कोनो भीख नहि छी, बल्कि बिहार क समेकित विकास लेल इ जरूरी अछि। ओ कहला जे सरकार सब पंचायत मे हाई स्कूल खोलत। 45 हजार हाई स्कूल खुलत। एहि वित्तीय वर्ष मे एक हजार हाई स्कूल खुलत। मुख्यमंत्री कहला जे आब बच्चा कलम-सियाही चाहैत छथि। लाठी मे तेल पियेबाक गप आब ककरो नीक नहि लगैत अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. Sushashan Babu 45 Hajar High school kholala se kono phayda nahi hoyat ja dhari Shikshak khushi nahi hoyat ta dhari shiksha me vikash sambhav nahi achhi, aha te sikshak ke samman basari gel chhi, aha te okra pari ladhi barsabait chhi, takhan vikash kona hoyat, ha vikash jahina akhan kagaj par bha rahal achhi tahina hoyat rahat, Rahal baat Paag aur mithila ke te akhan dhari ahak sasan me 7 sal me kon kon kaaj mithila me bhel….

Comments are closed.