नहि केलहुं अछि विशेष राज्‍य पर कोनो अनुशंसा : पित्रोदा

पटना। प्रधानमंत्री क सलाहकार सैम पित्रोदा कहला अछि जे ओ कहियो बिहार कए विशेष राज्‍य क दर्जा देबा स इनकार या विरोध नहि केलथि अछि। अपन बिहार यात्रा क दौरान मीडिया स भेल वार्ता क दौरान बिहार कए विशेष राज्य क दर्जा नहि देबा संबंधित हुनकर अनुशंसा पर ओ कहला जे एखन धरि ओ एहन कोनो अनुशंसा नहि केलथि अछि आ एहि प्रकारक कोनो बयान बिहार यात्राक दौरान नहि देलथि अछि। पित्रोदा एहि प्रकार क खबर कए खंडन करैत बिहार मे विकास लेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क एक ढाकी प्रशंसा केलथि। ज्ञात हुए जे पिछला मास पित्रोदा बिहार गेल छलाह। पित्रोदा कहला जे बिहार मे कैल जा रहल विकास देखबा योग्‍य अछि आ एहि लेल हम बिहारक मुख्‍यमंत्री कए एकटा प्रशंसापत्र सेहो लिखलहुं अछि। पित्रोदा कहला जे बिहार देश लेल ‘रोल मॉडल’ साबित होएत। ओ कहला जे बिहार सरकार द्वारा शिक्षा, स्वास्थ्य आओर उद्योग क विकास लेल कार्य स राज्‍य क छवि बदलल अछि। ओ कहला जे अगर गति कायम रहल त बिहार मे जबरदस्त विकास भ सकैत अछि आ ओहि ठामक लोक कए बेहतर अवसर प्रदान क सकैत अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments