नव साल मे छठम वेतन क सनेस

पटना। राज्य सरकार अपन कर्मी कए नव साल मे छठम वेतन क सनेस देबाक तैयारी करि रहल अछि। छठम वेतन क आलोक मे केन्द्र क भांति वेतन-भत्ता क लेल शुभकीर्ति मजुमदार क अध्यक्षता मे गठित पे-कमेटी सोमदिन अपन रिपोर्ट सरकार कए सौंप देलक अछि। चालू माह यानी दिसम्बर क अंतिम सप्ताह मे राजगीर मे कैबिनेट क होइवाला बैठक मे एकर संबंध मे निर्णय लेल जाएत। रिपोर्ट क अध्ययन क लेल मुख्य सचिव क अध्यक्षता मे कमेटी गठित करि देल गेल अछि। जाहि मे विकास आयुक्त आ वित्त विभाग क प्रधान सचिव शामिल छथि। इ कमेटी तत्काल अध्ययन करि लागू करबाक योग्य अनुशंसा क बारे मे प्रस्ताव बढ़ाउत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें