नवीनगर स अगिला साल भेटत बिजली

औरंगाबाद। नवीनगर मे निर्माणाधीन थर्मल पावर प्रोजेक्ट क पहिल इकाई स बिजली उत्पादन अगिला साल अक्तूबर मास स शुरू भ जाएत। ओना एहि स पूर्व बिहार कए बाढ स बिजली उपलब्‍ध हेबाक संभावना अछि। बाढ क संग संग तैयार भ रहल नवीनगर थर्मल परियोजना क पहिल इकाई क ब्वॉयलर क रविदिन सफलतापूर्वक स्थापना कैल गेल। कंपनी क मुख्य कार्यकारी अधिकारी केके सिंह कहला जे एहि परियोजना मे ढाई-ढाई सौ मेगावाट क कुल चारिटा इकाइ स्थापित कैल जा रहल अछि जाहि मे पहिल इकाई स अगिला एक साल मे 250 मेगावाट बिजली क उत्पादन शुरू भ जाएत। ओ कहला जे भारत हेवी इलेक्ट्रिकल्स लिमिटेड (भेल) क सहयोग स पहिल इकाई क ब्वॉयलर क ड्रम लिफ्टिंग क काज पूरा भ गेल अछि जाहि स एकर निर्माण काज मे आओर तेजी आउत आ बाकी काज जल्दी पूरा भ जाएत। ब्वॉयलर क संस्थापन क अवसर पर एनटीपीसी क महाप्रबंधक आरआर श्रीवास्तव समेत कंपनी क अधिकार सब मौजूद छलाह।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments