नवीनगर सुपर थर्मल पावर परियोजना क शिलान्यास

औरंगाबाद। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार औरंगाबाद जिलाक नवीनगर मे शनिदिन 1980 मेगावॉट क्षमता वाला नवीनगर सुपर थर्मल पावर परियोजना क शिलान्यास केलथि। राष्ट्रीय ताप बिजली निगम (एनटीपीसी) आ बिहार राज्य विद्युत बोर्ड क एहि संयुक्त उपक्रम पर 13 हजार करोड़ टका क लागत एबाक सम्भावना अछि। एकटा अधिकारी क अनुसार, परियोजना लेल 2883 एकड़ जमीन क बंदोबस्त कैल गेल अछि। एहि ठाम पहिल चरण मे 1980 मेगावॉट आ फेर 1320 मेगावॉट क्षमता क बिजली घर क निर्माण कैल जाएत। एहि बिजली घर में बिहार क 69 प्रतिशत हिस्सेदारी होएत। गौरतलब अछि जे बिजली क समस्या स जूझि रहल बिहार कए एहि परियोजना स काफी हद तक बिजली क समस्या हल हेबाक उम्‍मीद अछि। परियोजना लेल कोयला क सप्लाई नॉर्थ कर्णपुरा खान स होएत, जखनकि सोन नदी स पाइन क सप्लाई कैल जाएत। परियोजना स 2015 मे बिजली उत्पादन क उम्‍मीद अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments