नवीनगर थर्मल पर जारी झंझट खत्‍म भेल

औरंगाबाद । बिहार सरकार आओर एनटीपीसी क संयुक्त उपक्रम स नवीनगर मे प्रस्‍तावित बिजली परियोजना क निर्माण क रास्ता साफ भ गेल अछि। जमीन क मुआवजा कए ल कए किसान आ प्रशासन क बीच चलि रहल विवाद खत्म भ गेल अछि। परियोजना निर्माण कए ल कए सहमति बनि गेल अछि। परियोजना क निर्माण शुरू करबा लेल डीएम अभय कुमार सिंह विस्थापित किसान संघर्ष समिति क सदस्‍यक संग समाहरणालय स्थित सभा कक्ष मे बैठक केलथि। मेहगांव स काज शुरू करबा पर सहमति बनल। डीएम कहला जे प्रशासन आओर संघर्ष समिति क टीम अपना मे विचार करि बचल सबटा अड़चन कए दूर करत। परियोजना क निर्माण स औरंगाबाद औद्योगिक हब बनत। एहि स बिजली क्षेत्र मे राज्य आत्मनिर्भरता क दिस सेहो जा सकत। परियोजना क निर्माण लंबा समय तक चलत आओर काज शुरू भेलाक बाद सेहो किसान क हर जायज मांग पर विचार कैल जाएत रहत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments