नरसंहार मे हमर हाथ नहीं : नक्सली

पटना। प्रतिबंधित नक्सली संगठन भारतीय कम्युनिस्ट पार्टी (माओवादी) क कहब अछि जे खगडिय़ा नरसंहार में हुनकर हाथ नहि अछि। संगठन कहलक अछि जे एहि नरसंहारक पाछु जेकर हाथ अछि ओकरा ओ एहि सालक अंत तक दंडित करत। भाकपा (माओवादी) क उत्तर बिहार क्षेत्र क सरगना सनेश समाद देलथि अछि जे एहि नरसंहार मे हुनकर संगठनक हाथ नहि अछि। ओना हुनका एहि घटना में शामिल लोकक संबंध में सबटा जानकारी छैन आ ओ मारले गेल लोक क परिजन स वादा करैत छथि जे भाकपा (माओवादी) एहि नरसंहार क लेल जिम्मेदार लोक कए एहि साल क आखिर तक दंडित करत। बिहार पुलिस एहि नरसंहार मे नक्सली क हाथ हेबाक संदेह जतौने छल। पुलिस कहने छल जे एहि मामला में जे 11 गोटे कए गिरफ्तारी भेल अछि ओहि मे एहि नरसंहार क मास्टरमाइंड ओपी महतो सेहो अछि। राज्य क अतिरिक्त पुलिस महानिदेशक नीलमणि क कहब अछि जे मास्टरमाइंड महतो खुलासा केलक अछि जे एहि नरसंहार क योजना 14 सितंबर कए अमौसी क मुखिया क घर पर बनल छल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. Suni k bahut khushi bhel. ona ta hamar maithil bhojan aur rahan-shahan ka kakro sa certificate nai chahi, lekin taiyo ehi khabar sa e sabit hoit achhi je hamar maithil rahan-shahan of khan-pan ke pura duniya main kiyo barabari nai ka sakait achhhi. Sabh maithis wasi ke Raghab Jha ke taraf sa sadar pranam.

Comments are closed.