नरसंहार मामला मे 16 गिरफ्तार

खगडिय़ा। खगडिय़ा क अमौसी नरसंहार मामला मे पुलिस 16 गोटे कए गिरफ्तार केेलकअछि। कई अन्य क खिलाफ प्राथमिकी दर्ज भेल अछि। खगडिया क पुलिस अधीक्षक इंद्रानंद मिश्र कहला जे जिलाक मोरकाही थाना क अमौसी गांव स कईटा माओवादी घटना मे पहिने स संलिप्त ओपी महतो समेत सात गोटे कए गिरफ्तार कैल गेल अछि। गिरफ्तार संदिग्ध माओवादी सब स पूछताछ भ रहल अछि। हालांकि, सुरक्षा कारण स आओर किछु नहि बताउल जा रहल अछि। अमौसी आ ओकर आसपास क गाम मे लगातार छापेमारी भ रहल अछि। दरभंगा क पुलिस अधीक्षक एमआर नायक कहलथि अछि जे खगडिय़ा जिला स लागल कुशेश्वरस्थान थाना क टिलकेश्वर गांव स अमौसी नरसंहार क नौ गोटे कए गिरफ्तार कैल गेल अछि। सूचना क आधार पर टिलकेश्वर गाम मे भ रहल छापेमारी क दौरान कई टा संदिग्ध कए सेहो गिरफ्तार कैल गेल अछि।
मोदी पर फूटल तामस
घटना क जायजा लेबा लेल जखन उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी शुक्र दिन अमौसी पहुंचलाह त तमसाइल ग्रामीण हुनकर गाड़ी पर पथराव करि देलक। हालांकि, हमला मे उपमुख्यमंत्री कए कोनो नुकसान नहि पहुंचल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments