नरसंहार मामला मे दू अधिकारी निलम्बित

पटना। खगडिय़ा जिला क मोरकही थाना क्षेत्र मे भेल नरसंहार मामला मे राज्य सरकार दूटा वरिष्ठ पुलिस अधिकारी कए निलंबित करि देलक अछि। राज्य क प्रधान गृह सचिव अमिर सुभानी कहलथि जे राज्य सरकार पुलिस अधीक्षक इंद्रानंद मिश्र आ उप मंडलीय पुलिस अधिकारी अजय कुमार पांडेय कए लापरवाही बरतबा क आरोप मे निलंबित करि देल गेल अछि। पुलिस सूत्र क अनुसार नरसंहार क मास्टर माइंड ओपी महतो आ 11टा अन्य लोकक गिरफ्तारी क बाद किछु आओर लोक कए हिरासत मे लेल जा सकैत अछि। एकटा वरिष्ठ अधिकारी क अनुसार पुलिस कए नरसंहार क मामला मे किछु अहम सुराग भेटल अछि। गिरफ्तारी क लेल बिहार सैन्य पुलिस, विशेष कार्यबल आ विशेष सहायक पुलिस क संयुक्त टीम खगडिया आ आसपास क जिला मे अभियान चला रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments