नदी जोड़ योजना तहत सबस पहिने जुडत बूढ़ी-गंडक-वाया-गंगा लिंक

पटना। राज्य कए बाढ आ सुखाड स बचेबा लेल महत्वाकांक्षी नदी जोड़ योजना क कार्यान्वयन जल्द शुरू भ रहल अछि। एहि योजनाक शुरुआत बूढ़ी- गंडक -वाया -गंगा लिंक कए जोडबा स होएत। इ बिहारक पहिल दूटा नदी होएत जेकरा आपस मे जोडल जाएत। एहि स कुल 24.7 लाख हेक्टेयर नव क्षेत्र मे सिंचाई भ सकत।
जल संसाधन विभाग क 29.16 अरब टका क अनुदान मांग पर पेश कटौती प्रस्ताव पर भेल बहस क बाद सरकार दिस स जवाब दैत जल संसाधन मंत्री विजय कुमार चौधरी कहला जे बूढ़ी- गंडक-वाया गंगा लिंक योजना क कार्यान्वयन क लेल 13 वीं वित्त आयोग 333 करोड़ क राशि स्वीकृत कैल गेल अछि। पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी क कार्यकाल मे नदी जोड़ योजना बनाउल गेल छल, मुदा कोनो कारणवश एकरा कार्यान्वयन नहि भ सकल। बिहार क लेल इ गर्व क गप अछि जे एहि योजना क शुरुआत बिहार स भ रहल अछि।
ओ कहला जे प्रदेश मे 9.4 लाख हेक्टेयर क्षेत्र मे जल जमाव अछि। 1.75 लाख हेक्टेयर कए जलजमाव स निजात भेल गेल अछि, मुदा 2.5 लाख हेक्टेयर स जल जमाव दूर करब असंभव अछि। एहि मछली पालन आ मखाना क खेती क योजना बनाउल जा रहल अछि। चौधरी कहला जे कोसी हाईडैम निर्माण पर नेपाल क राष्ट्रपति मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए नेपाल एबा लेल आमंत्रित केलथि अछि। उम्मीद अछि एहि दिस किछु सकारात्मक गप होएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments