नगर सेवा मे चलत एसी बस


पटना। मेट्रो क तर्ज पर आब पटना मे सेहो नगर सेवा क अधीन एसी बस क परिचालन होएत। क्षेत्रीय परिवहन प्राधिकार क बैठक मे एकरा हरी झंडी द देल गेल। प्राधिकार क बैठक मे परमिट क 196 मामल क सुनवाई भेल। स्थायी परमिट क जाहि मामला पर विचार भेल, ओहि मे 117टा मामला मे कोनो आपत्ति नहि आयल। एहि लेल हुनका परमिट जारी करबाक निर्देश द दे गेल। जाहि 79 मामला मे आपत्ति आयल, हुनकर सुनवाई भेल। नगर सेवा क चारि बस कए सेहो परमिट जारी कैल गेल अछि। तय भेल अछि जे लोग नगर सेवा मे एसी बस क परिचालन करए चाहैत छथि, हुनका प्राथमिकता देल जाएत। तय भेल जे पब्लिक ट्रांसपोर्ट क तमाम गाड़ी, जेकर बैस 10 साल या ओहि स बेसी भ चुकल अछि ओकर एमवीआई स जांच कराउल जाए। जे जर्जर भ चुकल अछि ओकरा परिचालन स बाहर कैल जाए। प्राधिकार क बैठक मे नगर सेवा क नव रूट पर विचार करबाक जिम्मा प्राधिकार क सचिव आ ट्रैफिक एसपी कए सौंपल गेल अछि। प्राधिकार नगर निगम कए निर्देश देलक अछि जे ओ नगर सेवा क बस क लेल जल्द स जल्द स्टाप निर्धारित करए।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments