नक्सली संगठनक स्वागत योग्‍य प्रस्‍ताव

जमुई। नव साल मे नक्सली संगठनक एकटा पहल राज्य लेल सुखद सनेस जेकां रहल। बिहार क मनोरम स्थल मे स कईटा नक्सलग्रस्त इलाका मे अछि, ताहि लेल लोक ओहि जगह पर एक जनवरी सन दिन मे जेबा स कतरा जइत छल, मुदा एहि बेर एहन ठाम जेबा लेल लोक तैयार भ गेल। लोक कए इ हिम्मत देलक नक्सली संगठनक एकटा आह्वान जाहि मे कहल गेल छल जे लोक भयमुक्त भ एहि इलाका मे पिकनिक मनेबा लेल आबि। बिहार क एहि इलाका मे लगभग खत्म भ चुकल पर्यटन उद्योग लेल इ नव साल मे एकटा नीक सनेस जेकां अछि। नक्सली संगठन मुंगेर, भागलपुर, लखीसराय, बांका आ जमुई क्षेत्र क सबटा पर्यटक स्थल पर एक स 15 जनवरी तक भयमुक्त भ कए पिकनिक मनेबाक न्योत देलक अछि। एहि जोन क नक्सली प्रवक्ता अविनाश जनता कए नव साल पर संगठन दिस स मुबारकबाद दैत कहला अछि जे भीमबांध, ऋषिकुंड, खड़गपुर झील, मंदार झील, नागी-नगटी सहित सबटा पर्यटक स्थल कए जनता क लेल एक स 15 जनवरी, 2011 तक भयमुक्त राखल जा रहल अछि। हुनकर अनुसार बहुत दिन स एहि इलाक मे संघर्ष चलि रहल अछि जाहि स लोग एहि कात एबा स घबडा जाइत छथि, जाहि स एहि इलाका मे पर्यटनक विकास नहि भ पाबि रहल अछि। संगठन एकरा देखैत उक्त निर्णय लेलक अछि। हालांकि जनता क सुरक्षा मे भाकपा माओवादी क नेतृत्व मे कार्यरत जनमुक्ति छापामार सेना क एहि स्थल पर नजरि रहत। ताकि नक्सलक नाम पर अगर कोनो अपराधी कोनो कार्रवाई कए अंजाम दैत अछि त ओकरा दबोचल जा सकए। संगठन एहन कोनो लोक कए अपन कानूनक तहत सजा दैत। ओ कहला जे पुलिस या सेना क जवान एहि नाम पर अगर कोनो कार्रवाई करत त हुनका जबरदस्त प्रतिरोध क सामना करए पड़त।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

  1. good news . . . should be shared by all .. . please publish such news in all the languages . . .

Comments are closed.