ध्रुपद पर अंतरराष्‍ट्रीय सम्‍मेलन जनवरी मे, प्रशांत करताह दरभंगा घराना क प्रतिनिधत्‍व

नई दिल्‍ली । आईटीसी संगीत रिसर्च आकादमी, नेशनल सेंटर फॉर द परफोर्मेंस आर्ट्स क संयुक्‍त तत्‍वावधान मे आयोजित ध्रुपद पर दू दिवसीय अंतरराष्ट्रीय सेमिनार मे दरभंगा घराना क प्रतिनिधित्‍व युवा ध्रुपद गायक प्रशांत मल्लिक करताह। 19 आ 20 जनवरी 2013 कए प्रस्‍तावित एहि सेमिनार मे एकटा वक्ता क रूप मे दरभंगा घराना क सशक्त हस्‍ताक्षर प्रशांत मल्लिक कए आमंत्रित कैल गेल अछि। एहि सेमिनार क मुख्य अतिथि हेताह उस्ताद ज़िया फरीदुद्दीन डागर। एहि सेमिनार मे देश विदेश क जानल-मानल ध्रुपद क शोधार्थी आ वक्ता भाग लेताह। प्रशांत वक्‍ता क सूची मे सबस युवा छथि। ओ ध्रुपद क “खँडहर बानी” पर व्याख्यान देताह।
दू दिवसीय एहि सेमिनार मे पहिल दिन ध्रुपद क समागम मे व्यख्यान होएत। पहिल दिन क वक्ता छथि लन्दन स प्रो0 रिचर्ड विड्डसन, इंदौर स पुरु दधिची, कोलकाता स फाल्गुनी मित्रा, दरभंगा स प्रशांत मल्लिक, फ़्रांस स ऍफ़ नलिनी देल्वोये, यूके स कथेरिने बटलर स्कोफिल्ड, पुणे स उदय भवालकर, बनारस स ऋत्विक सान्याल भोपाल स रमाकांत आ उमाकांत गुन्दिचा आओर लखनऊ स श्रुति सदोलिकर। दोसर दिन संध्या मे ध्रुपद आ वाद्य संगीत क जुगलबंदी रहत जाहि मे सितार वादन लेल यूएसए स एलेन मीनर, वीणा बजेताह मुंबई क उस्ताद बहाउद्दीन डागर आ पखावज पर हाथ देखेताह मानिक मुंडे।
एहि सेमिनारक संबंध मे प्रशांत मल्लिक कहला अछि जे इ दरभंगा घराना लेल सौभाग्य क गप छी जे एहन आयोजन मे हमरा सन युवा कए मुख्‍य वक्ता क सूची मे राखल गेल अछि। ओ कहला जे एहि अन्तरराष्ट्रीय समारोह मे भाग ल कए ओ नहि केवल दरभंगा क बल्कि पूरा देशक मान बढेबाक प्रयास करताह। एतबा त निश्चित जे ध्रुपद स दूर भ रहल युवा आ ध्रुपद घराना क दलान पर छायल चुप्‍पी क बीच प्रशांत सन युवा गायक क एहि सेमिनार मे मौजूदगी दरभंगा घराना क भविष्‍य कए रेखांकित करैत अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments