धान क भूसी स 30 मेगावाट बिजली उत्पादन क प्रस्ताव

पटना। बेंगलुरु क औद्योगिक फर्म कुमार आरगेनिक प्रेाडक्ट्स लि. बोधगया मे 200 करोड़ टका लागत स धान क भूसी स 30 मेगावाट बिजली उत्पादन क यूनिट स्थापित करबाक पेशकश केलक अछिै। एहि संबंध मे कंपनी क प्रतिनिधि आ बिहार निवासी कृष्ण कुमार सिंह व उदयन कुमार सिंह ऊर्जा मंत्री रामाश्रय प्रसाद सिंह क कक्ष मे प्रोजेक्ट रिपोर्ट प्रस्तुत केलाह। कंपनी क प्रतिनिधि सरकार स बोधगया मे 75 एकड़ भूमि आ 1.5 लाख लीटर प्रति घंटा क दर स खपत क लेल पानी क व्यवस्था क अनुरोध केलक अछि। कंपनी क अधिकारी कहलथि जे भूसी स बिजली उत्पादन क अलावा एकर छाई स कास्मेटिक मे उपयोग होबैवाला सिलिका क उत्पादन होएत। एहि स उत्पादित कैलिशियम स टूथ पेस्ट निर्माण क लेल आवश्यक सामग्री क संग औद्योगिक उपयोग मे काम आएत। ऊर्जा मंत्री कंपनी क प्रतिनिधि कए विस्तृत परियोजना प्रतिवेदन उद्योग विभाग कए समर्पित करबाक सुझाव देलथि अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments