धरोहर छी बंगाल क इ दोसर सबस पुरान अस्‍पताल : नायक

दरभंगा : महाराजाधिराज कामेश्वर सिंह मेमोरियल हास्पीटल आ रिसर्च सेंटर, कामेश्वरनगर मे बुधदिन महाराजा कामेश्वर सिंह क जयंती मनाउल गेल। एहि मौका पर दू दिवसीय मुफ्त चिकित्सा शिविर क उद्घाटन डीएमसीएच कए अधीक्षक डॉ. सूरज नायक केलथि। उद्घाटन करैत डा. नायक कहला जे शहरी क्षेत्र मे एकर शाखा खुलबा स एकर पुरान गरिमा लौटत। एकरा लेल सरकार क समक्ष मांग राखल जाएत। इ प्रक्रिया पब्लिक प्राइवेट पार्टनरशिप क तहत होएत जाहि स एहि अस्पताल क सेहो कल्याण होएत। ओ एहि अस्‍पतालक हालत पर चिंता व्‍यक्‍त केलथि। वर्ष 1878 क बनल इ धरोहर अपना आप मे एकटा इतिहास अछि। इ अस्पताल अविभाजित बंगाल राज्य क दोसर अस्पताल छी। देश विदेश क डॉक्टर एहि ठाम अबैत छलाह। ओ कहला जे महाराजा कामेश्वर सिंह दानवीर छलाह जे हमरा सब कए इ द गेलाह अछि। भारत मे दरभंगा क महाराजा क कीर्ति स्थापित अछि। ज्ञात हुए जे महाराजाधिराज कामेश्वर सिंह मेमोरियल हॉस्‍पीटल क निर्माण महाराजाधिराज लक्ष्मेश्वर सिंह वर्ष 1878 मे लेडी डेफरीन अस्पताल क नाम स करौने छलाह। तखन इ अस्‍पताल देश क दोसर सबस चर्चित करीब दू सौ बेड क अस्पताल छल। वर्ष 1934 क भूकंप मे अस्पताल क भवन क्षतिग्रस्त भ गेल। क्षतिग्रस्त भवन क मरम्मत क बाद लेडी बेल्डिंगटन हास्पीटल क नाम पर इ चर्चित भेल। डा कामेश्‍वर सिंह क निधन क बाद एकर नाम महाराजाधिराज कामेश्वर सिंह अस्पताल क देल गेल।
एहि अवसर पर मुख्य अतिथि इंडियन मेडिकल एसोसिएशन क पूर्व प्रदेश अध्यक्ष डॉ. रमण कुमार वर्मा कहला जे डा सिंह क कीर्ति कए ओ सलाम करैत छथि। एहि परिसर स अतिक्रमण हटबाक चाही तखने एहि ठाम एक्सलेंट सेंटर खोलबाक प्रक्रिया शुरू भ सकैत अछि। महाराजा कामेश्वर सिंह क जयंती पर पांच दिसंबर कए कामेश्वरी प्रिया पूअर होम मे मुफ्त नेत्र शिविर लगाउल जा रहल अछि। हरिश्चंद्र भगत, महाराजा अस्पताल क अध्यक्ष डॉ. एमएम कोले, सचिव नरेंद्र भूषण प्रसाद सेहो एहि अवसर पर अपन विचार व्यक्त केलथि। एहि मौका पर डॉ धनेश मिश्रा, आरपी सिंह, डीएन सिंह, डा. नरेंद्र चौधरी आदि उपस्थित छलाह।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments