धनतेरस स भेटत बग्‍घी क आनंद

पटना। पटना टिसन पर रेल मंत्रालय जखन महाराजा कामेश्‍वर सिंह टमटम स्‍टेंड तोडलक तखने बिहार सरकार घोषणा केने छल जे पटनाक लोक कए बग्‍घी क आनंद देल जाएत। पिछला कई मासक प्रयासक बाद सरकार एहि योजना कए मूर्त रूप देबा लेल तैयार अछि आ सब किछु तय समय सीमा स भेल त एहि योजनाक शुभारंभ धनतेरस दिन भ सकैत अछि।
कहियो राजा-महाराजा क सवारी कहल जाएवाला बग्‍घी आइ आम लोक लेल उपलब्‍ध अछि। बिहार राज्य पर्यटन विकास निगम राजधानी मे बग्घी क सवारी ल कए ढार अछि। एखन एहि सवारी क सैर पटना क राजधानीवाटिका स चिडि़याघर तक उपलब्‍ध भ सकत। विभाग क प्रबंध निदेशक डीके शुक्ला क अनुसार एखन दूटा बग्‍घी लुधियाना स पटना पहुंचल अछि। ज्ञात हुए जे एकर निर्माण केवल लुधियाना मे होइत अछि। ओ कहला जे यदि इ प्रयोग सफल रहल त आओर बग्‍घी क खारीद कैल जाएत। एकटा बग्घी पर चारि गोटे बैस सकैत अछि। राजगीर क घोड़ाकटोरा लेल सेहो चारिटा बग्घी क खरीद कैल गेल अछि। एकटा बग्घी क मूल्य 1.57 लाख टका अछि। विभाग आधा दर्जन बग्‍घी कीनलक अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. ham akhan delhi me chi or gam jaet chi t madhubani stn par utrait chi muda ahi samachar dekhlak bad ham aab jahiya gam jayab t patna utari k ahi sabarik anand jarur leb, sangahi esamaadak teem ke hamar dhanybad je e uplabdh karaol gel. (prem jha delhi)

Comments are closed.