देश भरि मे भ रहल अछि बिहार क चर्चा : नीतीश

मुजफ्फरपुर । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे हुनकर नेतृत्व मे राज्य क राजग सरकार सब क्षेत्र मे सर्वांगीण विकास क रहल अछि। आइ एकर भरि देश मे चर्चा भ रहल अछि। कुमार आइ बूढ़ी गंडक नदी क अक्षरघाट पर करीब 31 लाख टकाक लागत स बनल पीपा पुल क उद्घाटन समारोह मे बाजि रहल छलाह। मुख्यमंत्री कहला जे राज्य मे ककरो भूख स नहि मरय देब। एकरा लेल राज्य सरकार हरसंभव सहायता देबा लेल तैयार अछि, मुदा ग्रामीण स्तर पर एकर जिम्मेदारी मुखिया क अछि। मुखिया भाई सब स आग्रह अछि जे एहि मामला कए गंभीरतापूर्वक लथि आ ककरो कम स कम भूख स नहि मरै दथि। मुख्यमंत्री कहला जे जनतंत्र मे जनता सबकि छु होइत अछि। पंचायत कए मजबूत करबा लेल कई कठोर कदम उठाउल जा रहल अछि। प्रत्येक जिला मे नीक काज करनिहार तीनटा मुखिया कए पुरस्कृत कैल जाइत आ अंत मे राज्य स्तर पर सेहो आदर्श तीनटा मुखिया कए चयन कैल जाइत किया कि पंचायत लोकतंत्र क एकटा सशक्त इकाई अछि। ओ लोक सब स बिहार कए बदलबा लेल आगू एबाक आह्वान केलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments