देशी-विदेशी पर्यटक कए रेलवे आनत उत्तर बिहार

rail
मुजफ्फरपुर। उत्तर बिहार क पर्यटन स्थल क कायाकल्प हेबाक बाट आओर आसान भ गेल। एहि ठामक मुख्य पर्यटन स्थल दिस देशी-विदेशी पर्यटक कए आकर्षित करबा मे आब भारतीय रेलवे सेहो जुटि गेल अछि। इंडियन रेलवे कैटरिंग एंड टूरिज्म कारपोरेशन (आईआरसीटीसी) अपन सेवा मे विस्तार आ पर्यटन कए बढ़ावा देबा लेल नव योजना मे उत्तर बिहार कए जगह देलक अछि। आईआरसीटीसी एहि ठामक स्थल कए चिह्नित करि बाहर क पर्यटक कए एहि दिस अनबाक प्रयास करत। रेलवे क अधिकारी एहि क्षेत्र क पर्यटन आ धार्मिक स्थल कए चिह्नित करबाक काज मे जुटि गेल छथि।
पूर्व-मध्य रेलवे आईआरसीटीसी क आरएम राजेश राणा कहलथि जे उत्तर बिहार मे पर्यटन क अपार संभावना अछि। रेलवे अपन सुविधा क माध्यम स एहि ठामक पर्यटन स्थल स देशी-विदेशी पर्यटक कए जोड़त। उत्तर बिहार क सीतामढ़ी, मधुबनी, दरभंगा, वैशाली, रक्सौल आदि क्षेत्र मे कईटा ऐतिहासिक, पौराणिक आ धार्मिक दृष्टिकोण स महत्वपूर्ण स्थल अछि, जे पर्यटक कए लुभा सकैत अछि। रेलवे अधिकारी ओहि स्थल कए चिह्नित करि रहल छथि जे देशी-विदेशी पर्यटक कए घूमबा योग्य अछि। इ जानकारी सेहो लेल जा रहल अछि जे एहि स्थान पर पर्यटक क ठहरबा लेल कोन-कोन आ केहन सुविधा उपलब्ध अछि। रेलवे एहि ठाम अबै वाला पर्यटक कए एहि स्थल क संबंध मे विस्तृत जानकारी सेहो उपलब्ध कराउत। एकरा चिह्नित करबाक काज फरवरीक अंत तक पूरा करि लेल जाइत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments