देशभरि मे घूमि सक ताह सरकारी सेवक

पटना। केन्द्रीय कर्मी क भांति राज्य क सरकारी सेवक सेहो छुट्टी यात्रा रियायत (एलटीसी) क तहत पूरा देश क सीमा क भीतर भ्रमण करि सकताह। इ सुविधा परिवार क मात्र चारि सदस्य क लेल होएत। राज्य सरकार एहि आशय क निर्देश जारी करि देलक अछि। इ सुविधा सेवा काल क दौरान सिर्फ दू बेर भेटत। पहिल यात्रा क पांच साल बाद पुन: एकर उपभोग कैल जा सकैत अछि। रेल क द्वारा यात्रा क लेल 8700 टका आ एहि स बेसी ग्रेड-पे वाला एसी-2 टीयर शयनयान, 4800 स 7600 ग्रेड पे वाला सेहो एसी-2 टीयर शयनयान, 2400 स 4600 ग्रेड-पे वाला एसी-3 टीयर शयनयान या एसी चेयरकार आ 2000 आ एहि स कम ग्रेड-पे वाला सामान्य स्लीपर क्लास स यात्रा करि सकताह। एलटीसी क लेल ई-टिकट सुविधा आ वातानुकूलित प्रथम श्रेणी आ वायुयान स यात्रा क सुविधा नहि भेटत। एक अप्रैल 2010 क प्रभाव स इ आदेश लागू होएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments